जोगबनी ।
लगभग पांच दशक धरि बिहारक राजनीति मे अलग- अलग भूमिका निभावय वला भाजपाक पैघ नेता आ बिहारक पूर्व डिप्टी सीएम सुशील कुमार मोदीक निधन पर जतय राजनीतिक क्षेत्र मे शोकक लहरि अछि ओहि ठाम सीमांचलक चर्चित युवा भाजपा नेता राजन तिवारी दुःख जतेलनि । अंतिम संस्कार में ओ भाग लेबाक बाद संवाददाता सं कहलनी जे सुशील मोदीक निधन बिहारक राजनीतिक एक अध्यायक अंत अछि।